Top 5 Rose Day Maithili Shayari By SK Maithil

0
38

Top 5 Rose Day Maithili Shayari By SK Maithil

अहाँ तऽ कोमल कली कचनार छि ई बाग के
जे छुबिते अहाँ के छलैक जाइ छै गागर
सुगन्ध सँ मन मोहि लैत छि अहाँ हमर
गुलाब जका महैक जाई छै प्रितक सागर

*********************************************

खुशी के प्रतिक अछि ई गुलाब
प्रेमक मिठास भरि दैत अछि ई गुलाब
खुद काँट के बीच मे रैह कऽ
दु दिल के एक करि दैत अछि ई गुलाब

*********************************************

मन के बात मन मे वर्षो सँ छुपौने छी
अहि के सपना ई दिल मे सजौने छी
नै जानि अहाँ के की दु किछ नै फुराई यऽ
देखु, अहाँक लेल ई गुलाब लौने छी

*********************************************

हमर हरेक ख्वाब हक़ीक़त बनि जाए
जे होइ बस अहाँक साथ एहन जिनगी बनि जाए
हम लौने छि लाखो में एक गुलाब अहाँक लेल
और ई गुलाब अप्पन प्रेमक सुरुआत बनि जाए

*********************************************

फिर सँ आबि गेल अछि वैलेंटाइन डे
सदैत अहाँ खिलैत रहु गुलाब जका
अप्पन तऽ नई रोज डे नई गुलाब डे
बस मना रहल छी क्वारंटाइन डे

*********************************************

Top 5 Rose Day Maithili Shayari By SK Maithil

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here