Maithili गजल~Maithili Love Gajal By Priyanka Jha
मोन हाेइए अहाँक आँखिमे डुबिजाइ हम
मोन हाेइय अहाँक करेजसँ सटिजाइ हम
एखन्धरि जे ओझराएलसन छल जीवन
मोन होइए अहाँक प्रेम पाबि बिहुसिजाइ हम
ठाेर परक मुस्कान कम नइ हुए कहियो
मन हाेइए अहाँक ठोरक हंसी बनिजाइ हम
अबै केहनो विघ्न बाधा अपनसभक प्रेममे
अहाँक संगे सब विपत्तिसँ लड़िजाइ हम
रही नइ दूर आब कहियो आ कखनो
मोन होइए अहाँक हृदयमे बसिजाइ हम
✍️ प्रियँका झा