Maithili Gajal : हमर मुस्कीमे साँचे बसैछि आहा

0
197

मैथिली गजल~ Maithili Gajal 

हमर मुस्कीमे साँचे बसैछि आहा
मोन मन्दिरमें सदिखन रहैछि आहा

पड़ैए संकट हमरा पर कखनो
असल साथी बनि कष्ट हरैछि आहा

जरैछै लोक चाहे जरैछै दुनियाँ
कहियो नइ कखनो जरैछि आहा

आहिसँ अइ ई जिनगी इजोर
खुशी लबालब भरैछि आहा

आहिसन जगमे उदार नइ दोसर
तील चाउर संग संग बहैछि आहा

✍️ प्रियँका झा

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here