Lyrics_मिता यौ हमरा प्यार भऽ गेलै

1
298

दिलमें बसल छलै ओ
आई दीदार भऽ गेलै – २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ प्यार भऽ गेलै – २

दिलमें बसल छलै ओ
आई दीदार भऽ गेलै
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ…प्यार भऽ गेलै

चालिु ओकर मतवाली जका – ३
तिरछी नयन कटार जका
जादू उ कोन चला कऽ गेलै,
दीवाना हमरा उ बना कऽ गेलै – २

जे रातिु में आबिुकऽ सब दिन,
आई हरान कऽ गेलै – २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ…प्यार भऽ गेलै – २

ओकर अदा के कायल भेलौं – ३
पैरक जेना हम पायल भेलौं
जादू ई कोन चला कऽ गेलै,
बिजुरी ई दिल पऽ खसा कऽ गेलै – २

संगमे छलै एक्के टा दिल
अप्पन नाम कऽ गेलै – २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ…प्यार भऽ गेलै – २
______________________________________________

__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,

1 COMMENT

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here