|| नयन मटक्का ||

0
131

अइबेर के वैलेंटाइन डे में
किछ अलग होतै
दबल मोनमे आस छल
जे नै भेलै पिछला साल से होतै

याद अछि हमरा उ पल
दू पंछी के कोना उड़ैल कै
कोना कऽकऽ छुपल छलौ
मारि’ डन्टा पुलिस कनैल कै

अइबेर के वैलेंटाइन डे में
योजना बनैले छी पक्का
पहिने नयन सँ नयन मिलेबै
तब करबै नयन मटक्का

नै जाने कोई ताहि सँ अइबेर
ताका-ताकी दू घण्टा पहिने सँ होतै
टका के नै टेन्सन, पाकेट गरम छै
झाँका-झाँकी भरि’ मोन हल में होतै
___________________________________________

__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here